1 Corinthians 6
1 अहाँ सबमे सँ ककरो दोसर सँ झगड़ा भऽ जाइत छैक। आ अहाँ ओकरा अदालत लऽ जाइत छी! जे परमेश्वरकेँ नहि मानैत अछि ओकरा ई फैसला करय दैत छी जे के जीतत। किएक? परमेश्वरक लोककेँ ई फैसला किएक नहि करय दैत छियैक?
7 अहाँ पहिनहिये हारि गेल छी। अहाँक अदालत जेबाक मतलब अछि जे अहाँ हारि गेल छी। अहाँ अपने सँ नुकसान किएक नहि सहि लैत छी? अहाँ दोसराकेँ ठगय किएक नहि दैत छियैक?
12 अहाँ कहैत छी, "हमरा जे मोन हैत से कऽ सकैत छी!" जरूर। मुदा हर चीज अहाँक भलाईक लेल नहि अछि। अहाँ कहैत छी, "हमरा जे मोन हैत से कऽ सकैत छी!" जरूर। मुदा हम कोनो चीजकेँ अपन ऊपर राज नहि करय देब।
15 की अहाँ सब बिसरि गेलहुँ? अहाँक शरीर खुद यीशुक एकटा हिस्सा अछि! तँ की हम यीशुक हिस्साकेँ तोरि कऽ एकटा वेश्या सँ जोड़ि दी? एकदम नहि!
18 यौन पाप सँ भागू! जल्दी! बाकी सबटा पाप अहाँक शरीर सँ बाहर रहैत अछि। मुदा यौन पाप अहाँक अपन शरीरकेँ काटैत अछि।