1 Corinthians 7
1 अहाँ सब हमरा सँ किछु सवाल पूछलहुँ छल। पहिल ई: हँ, कहियो-कहियो ई नीक अछि जे आदमी विवाह नहि करय।
8 जे लोक बिन-विआहल छथि, हम हुनका सँ ई कहैत छी। आ ओहो लोक सँ जकर पति या पत्नी मरि गेल छथि। ई नीक अछि जे अहाँ हमरा जकाँ बिन-विआहल रहू।
17 नियम ई अछि। जखन परमेश्वर अहाँकेँ चुनलनि, ओ अहाँकेँ जे जीवन देलखिन्ह ओहीमे रहू। हम ई हर कलीसियाकेँ कहैत छी।
18 जखन परमेश्वर अहाँकेँ बजेलनि तँ की अहाँ यहूदीक तरीका सँ खतना करबेने छलहुँ? ओकरा मेटाबय क कोशिश नहि करू। की अहाँक खतना नहि भेल छल? तँ आब खतना नहि कराउ।
25 जे लोक कहियो विवाह नहि केलनि, अहाँ ओकर बारेमे पूछलहुँ। एकर बारेमे हमरा लग सीधा यीशुक बात नहि अछि। मुदा हम ई सोचैत छी। यीशु हमरा पर दया केलखिन्ह अछि। अहाँ हमरा पर भरोसा कऽ सकैत छी।