1 Corinthians 5

1 सब कियो एहि पर बात कऽ रहल छथि! अहाँ सबक बीच यौन पाप भऽ रहल अछि। ई एहन पाप अछि जे परमेश्वरकेँ नहि मानय वाला लोक सेहो नहि करैत अछि। एकटा आदमी अपन बापक पत्नीक संग सूति रहल अछि!

3 हम अपन शरीर सँ अहाँक बीच नहि छी। मुदा हमर आत्मा अछि। जे आदमी ई केलक अछि, ओकर बारेमे हम पहिनहिये फैसला कऽ लेने छी। ई एहन अछि जेना हम अहाँक बीच ठाढ़ होइ।

6 अहाँक घमंड सँ भरल बात सँ हमरा घिन होइत अछि। की अहाँ सब बिसरि गेलहुँ? तनी टा खमीर पूरा सानल आटाकेँ फुला दैत अछि!

9 हम अहाँकेँ पहिने लिखलौं छल। यौन पाप करै वाला लोक सँ दूर रहू।