1 Corinthians 13

1 मानि लिअ जे हम मनुष्यक आ स्वर्गदूत सभक भाषामे बाजैत छी। मुदा मानि लिअ जे हमरामे प्रेम नहि अछि। तखन हम मात्र एकटा जोरक आवाज छी! जेना कोनो ठनकैत बर्तन वा झनकैत झांझ।

4 प्रेम धैर्यरखैत अछि। प्रेम दयालु अछि। प्रेम ईर्ष्या नहि करैत अछि। प्रेम डींग नहि हांकैत अछि आ नहिये अप्पन बड़ाई करैत अछि।

8 प्रेम कहियो खतम नहि होइत अछि! मुदा एक दिन, परमेश्वरक वचन सुनायब खतम भ' जायत। अनजान भाषामे बाजब बन्द भ' जायत। हम एखन जे किछु जनैत छी, ओ खतम भ' जायत।