1 Corinthians 12
1 आब, पवित्र आत्मा सँ भेटयवाला वरदान सभक विषयमे। भाइ आ बहिन सभ, हम नहि चाहैत छी जे अहाँ एहि विषयमे अनजान रहू।
12 शरीर एकटा अछि, मुदा ओहिमे बहुत रास अंग अछि। ओ सब अंग मिलि क' एकटा शरीर बनैत अछि, यद्यपि ओ बहुत रास अछि। मसीहक सँग सेहो एहनहि अछि!
21 आँखि हाथ सँ नहि कहि सकैत अछि, "हमरा अहाँक आवश्यकता नहि अछि!" माथ पैर सँ नहि कहि सकैत अछि, "हमरा अहाँक आवश्यकता नहि अछि!"
27 अहाँ सभ मसीहक शरीर छी! अहाँमे सँ हर एक लोक ओकर एकटा अंग अछि।