1 Corinthians 15
1 भाइ आ बहिन सभ, हम जे नीक समाचार अहाँकें सुनाओल, ओकरा विषयमे हम अहाँकें मोन पाड़य चाहैत छी। अहाँ ओकरा दुनू हाथ सँ पकड़लहुँ। आ एखनो अहाँ ओही पर खड़ा छी।
12 हम सभ प्रचार करैत छी जे मसीह मरल लोक सभमे सँ जीबि उठलाह। तँ अहाँमे सँ किछु लोक कोना कहि सकैत अछि जे मरल लोक वापस नहि जीबैत अछि?
20 मुदा सत्य ई अछि! मसीह सचमुच मरल लोकमे सँ जीबि उठलाह! ओ गाछ सँ तोड़ल गेल पहिल फल छथि। ओ जीबि उठयवाला पहिल लोक छथि। ओ हमरा सभकें देखाबैत छथि जे बाकी सभ मरल लोक सँग की हैत।
21 एकटा लोकक कारण दुनियामे मृत्यु आयल। मरल लोकमे सँ जीबि उठब सेहो ओहिना, एकटा लोकक द्वारा अबैत अछि।
24 ओकर बाद, अन्त आयत! ओ परमेश्वर पिताकें राज्य सौंपि देताह। मुदा ओकरा सँ पहिने हुनका हर एक शासक, हर एक शक्ति, आ हुनकर विरुद्ध ठाढ़ हर एक अन्धकारक ताकतिकें नाश करय पड़तनि।