Genesis 4
1 आदम अपन पत्नी हव्वा कऽ सँग सुतल। ओ गर्भवती भेल आ कैन केँ जन्म देलक। ओ कहलक, "याहवेह कऽ मदति सँ, हम एकटा बेटा पौलहुँ!"
2 बाद मे ओ हाबिल केँ जन्म देलक। हाबिल भेड़ी चराबय वला बनल। कैन जमीन पर काज करैत छल, फसल उगबैत छल।
3 किछु दिन बीतल। कैन अपन किछु फसल याहवेह लेल भेंट कऽ रूप मे अनलक।
6 याहवेह कैन सँ कहलनि, "अहाँ किएक रिसाएल छी? अहाँक मुँह किएक लटकि गेल अछि?"
8 कैन अपन भाइ हाबिल सँ कहलक, "चलु खेत मे जाइ।" जखन ओ दुनू एक्कले छल, कैन हाबिल पर हमला कऽ देलक। ओ ओकरा मारि देलक।