Genesis 2

7 याहवेह परमेश्वर जमीन सँ माटि उठौलनि। ओ एकटा आदमी बनौलनि। ओ लग झुकलनि आ आदमी कऽ नाक मे साँस फूँकलनि। आदमी कऽ छाती उठल। ओ जिन्दा भऽ गेल!

8 याहवेह परमेश्वर पूर्व मे दूर अदन मे एकटा बगैचा लगौलनि। ओ आदमी केँ ओतय रखलनि।

9 याहवेह परमेश्वर जमीन सँ गाछ उगौलनि। सुन्दर गाछ। नीक फल सँ भरल गाछ। बगैचा कऽ बीच मे दुटा गाछ छल, जीवन कऽ गाछ आ नीक-खराब जानय वला गाछ।

16 याहवेह परमेश्वर आदमी केँ एकटा आज्ञा देलनि। "बगैचा कऽ कोनो गाछ सँ खाउ। जे गाछ अहाँ चाहब।"

18 याहवेह परमेश्वर कहलनि, "आदमी लेल एक्कले रहब नीक नहि अछि। हम ओकरा लेल एकटा सही मददगार बनायब।"